Saturday, November 9, 2013

शनिवारीय दलान - छईठक छमकछल्लो

नवीन झा
पाच सालक बाद छईठकमे हम काठमाडौ मे छलौह । कार्यवयस्तताके चल्ते शुक्रदिन दुपहरमे कनिके कालके लेल रानी पोखरी गेल रही । कही त औपचारिकता मेटाब के केल, कि मैथली छि त कम स कम छईठक घाट पर पहुची । ओहीना भेल, साढे तीन आ चार बजे के बिचमे रानी पोखरी पहुचल  छली । फेउर तुरते लौटवाक छल । मुद्धा रानीपोखरी पहुचलाके वाद ओत मन्त्रीपरिषदक अध्यक्ष खिलराज रेग्मी भाषण दइृत छला तस कनि मोन भेल जे सुईन लईछी तईके वाद लौटब । हुनकर भाषण ओयाह सुगााक रामकहानी छल । सब गोटोके चुनावमे अपन पसन्दक उम्मेदवारके पक्षमे मतदान कक निर्वाचन सफ लबनेवाक आग्रह छलईन हुनकर । मोन मे तखने एकटा प्रश्न आयल, हमर पसन्दके त कोनो उम्मेदवारे न इतब कि कायल जाय ? हुनकर भाषण सकइत देरी हम ओत स फेउर लौट गेलउ । मुद्धा रानीपोखरीमे छइृटक रौनकमे हमर वढ उदासता लागल । पता नई हम धरफरी मे छली ताय आ वास्तविकता छलई । हमरा त एना लागल कि चुनावके चल्ते अखने बहुत लोक गामठाम दिस छथ । तई स लोकसब उपस्थिती कम हेतई । एक मित्रके आईभोर मे हम यी बात कहलीय त उ कहलक कि साझमे त वड भिर रहई । चलू यी भेला हमर अनुभुती ।
                                       फोटो साभार- सेतोपाटी
मुद्धा मिथिला आ मधेशक जिल्ला सबमे सेहो छईठ अइबेर चुनावमय छल, से वात सुनवामे आयल । नेता लोकईन सब घाट घाट पर जाक भोट मांगईत छला । काहादुन उ सब कहईछलखिन कि हम जितक त अपन भाषा संस्कृतीके लेल कुछ काज करव । जई छईठक घाट पर जाक उसब भोट मगंइ छलखिन, उ कतेक राज्यक उपेक्षामे अई तई स उ सब  जानकार नईछथ से हमरा नइृलगइय ।
कहाबाके लेल त नेपालके महानपर्वके नाम देल गेल छई मुद्धा मधेशी सबको यी पावनी भेलाहीके कारण अईमे कते फरक छई से देखल जा सकइत अई । चार दिनक यी पावनीमे कम स कम तीन दिनक विदाक व्यवस्था होवाक चाही लेकीन सरकार अखनो १ दिनक विदा दरहल अई । नेता लोकईनके कि कहबई सब कहता पहिले मधेश राज त होब दियौ तब ने देखबई । त चलू देबकाब चाही .........

1 comment:

  1. म श्री एडम्स केविन, Aiico बीमा ऋण ऋण कम्पनी को एक प्रतिनिधि हुँ तपाईं व्यापार लागि व्यक्तिगत ऋण आवश्यक छ? तुरुन्तै आफ्नो ऋण स्थानान्तरण दस्तावेज संग अगाडी बढन adams.credi@gmail.com: हामी तपाईं इच्छुक हुनुहुन्छ भने यो इमेल मा हामीलाई सम्पर्क, 3% ब्याज दर मा ऋण दिन

    ReplyDelete